पटना । शहरक बाद आब बिहार क गाम मे डोर-टु-डोर कूड़ा क उठाव होएत । संगे नालीक नियमित रूप से सफाई सेहो होएत । एहिक लेल पंचायती राज विभाग क प्रधान सचिव अमृत लाल मीणा शनिदिन सभटा जिलाधिकारी कए निर्देश देल गेल अछि । पंचायती राज विभागक अनुसार राज्यक सभटा गाम मे घरे-घर कूड़ाक उठाव होएत । गीला आ सूखा कचड़ा अलग-अलग रखबाक व्यवस्था कैल जाएत । फेर एहिक प्रसंस्करण करि वर्मी कंपोस्ट तैयार कैल जाएत ।
The post आब गाम-गाम मे सेहो उठायल जाएत कचड़ा appeared first on इसमाद.
(ESAMAAD)