ओ कहलथि जे अगला साल से विद्यापति स्मृति पर्व समारोह गांधी मैदान मे करबाक आग्रह चेतना समिति से कैल जाएत । संगे विद्यापति स्मृति पर्व पर राजकीय समारोह विद्यापति भवन मे मनेबाक घोषणा केलथि । ओ कहलाह जे एहि संबंध मे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ गप करताह । उपमुख्यमंत्री कहलथि जे सौराठ मधुबनी मे 27 करोड़ क राशि सँ मिथिला चित्रकला संस्थान केंद्र क निर्माण भए रहल अछि । ओतय सँ छह महिनाक सर्टिफिकेट कोर्स आ तीन सालक डिग्री कोर्सक प्रशिक्षण भेटत । प्रशिक्षण लेनिहार सर्टिफिकेट कोर्सक छात्र कए हरेक महिना एक हजार आ डिग्री कोर्सक छात्र कए प्रत्येक महिना 1500 टकाक स्कॉलरशिप भेटत । मिथिला ललित कला संग्रहालयक निर्माण सेहो 13 करोड़ टका सँ भए रहल अछि ।
The post अगिला साल गांधी मैदान मे होएत विद्यापति समारोह : सुशील मोदी appeared first on Esamaad.
(ESAMAAD)